अनियंत्रित बोलेरो केर ठोकरसँ 9 टा स्कूली बच्चाकेँ मौत, ग्रामीण लोकनि केलनि हाईवे जाम

मुजफ्फरपुर : जिलाक अहियारपुरकेँ झपहामे एकटा भयानक हादसमे 9 टा स्कूलक नेनाक दुःखद मौतसँ समूचा इलाकामे शोकक लहैर उमरि पड़ल। 

हादसा अतेक भयानक छल जे जगहे पर 9 टा बच्चाक दर्दनाक मौत भs गेल संगहि आरओ 10 टा लोककेँ बड्ड चोट लागल छैक जाहिमे 3 टा केर हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि। एसएसपी विवेक कुमार नवों बच्चाक दुःखद मौत केर पुष्टि केलनि। 

ई हादसा एकटा बोलेरो गाड़ी केँ अनियंत्रित होबाक कारणे भेल। मृत बच्चा सभ स्कूलसँ छुट्टी भेलाक बाद अपन-अपन घर जा रहल छल तखनहि अनियंत्रित बोलेरो केर चपेटमे आबि गेलाह सँ एहन अप्रिय घटना घटल। घटनाकेँ कारण आस-पासक लोक सभ हाईवे जाम कएलक। 

अहि हादसामे मृत धिया-पूताकेँ अश्रुपूर्ण श्रद्धांजलि अर्पित करैत संगहि परिवारक सभ सदस्यकेँ अहि दुःखक घरिसँ उबारबाक लेल भगवान आत्मबल प्रदान करैथ ई कामना संग दैनिक मिथिलाक टीम अपन शोक संवेदना प्रकट करैत अछि।