ग्रामीण सभक सूझ-बूझ सँ दुर्घटनाग्रस्त होमै सँ बचल राजधानी एक्सप्रेस

खगड़िया। 14 फरवरी। नई दिल्ली सँ डिब्रूगढ़ जाय बला राजधानी एक्सप्रेस कैल्हि मंगल दिन हादसा केँ शिकार होमै सँ बाल-बाल बचल।खगड़िया जिलाक मांझी-महेशपुर रेलवे स्टेशन केँ बीच ग्रामीण सभ रेल पटरी टूटल देखलक जाहिक सूचना ओ सभ तुरंत रेलवे क' देलक। अपने क' बता दी कि किछु घरी बादे राजधानी एक्सप्रेस ओहिठाम सँ गुजरे बला छल।


रेलवे केँ एक अधिकारी कहलनि कि खगड़िया जिलाक चौधाबन्नी लग डाउन लाइन मे पटरी केँ टूटल देख ग्रामीण सभ आनन-फानन मे ट्रेन केँ रोकबेलक। ट्रेन चालक इमरजेंसी ब्रेक लगा ट्रेन केँ रोकलक, जाहि सँ बड़का हादसा होयत होयत टरल।