सुपौल : खुला मे शौच लेल बेटी केँ जायत देख भीख मांगी बनेली घर मे शौचालय

सुपौल। 14 फरवरी। सुपौल मे स्वच्छ भारत मिशन केँ एक अनौखा मिसाल देखबाक लेल भेटल। अप्पन बेटी क' खुला मे शौच लेल जायत देख एक महिला समाजक समक्ष एक अनौखा मिसाल पेश करैत भीख मांगी अप्पन घर मे शौचालय बनेली। 

भगीरथ प्रयास केँ अंजाम धरी पहुँचाबै बाली एहि महिला केँ नाम अमीना अछि जे सुपौल जिला निवासी छथि। सरकारी जमीन पर झोपड़ी बना रहय बाली अमीना केँ पतिक चारि बरख पहिने निधन भ' गेल छल। गरीबीक हालत मे रहबाक लेल मजबूर अमीना केँ बेटी क' घर मे शौचालय नहि होयबाक चलते खुला मे शौच लेल जाय पड़ैत छल। 

बेटी केँ खुला मे शौच लेल जेबाक मजबूरी अमीना सँ देखल नहि गेल जाहिक बाद ओ घर मे शौचालय बनेबाक संकल्प लेली। बेटिक सम्मानक लेल अमीना गरीबी केँ बंदिश क' परास्त करबाक शुरुआत केलि आओर भीख मांगी शौचालय बनेबाक लेल राशि इकट्ठा करब शुरू केलि आओर फेर जमा कायल गेल राशि सँ शौचालय केँ निर्माण करौली। महिला केँ एहि  प्रयास केँ सलाम करैत राज्य सरकार दिस सँ हुनका 12 हजार टाकाक प्रोत्साहन राशि सेहो देल गेल।