एहि अवसर पर आयोजित श्रीमद् भागवत कथा केँ भव्य आयोजन कायल गेल। सांझ 5:00 बजे सँ वृंदावन सँ आयल लाडली देवी देवकी जी द्वारा संगीतमय भागवत कथा केँ अमृत वर्षा भेल। महाशिवरात्रि केँ सुअवसर पर दूरदराज लोग सभ एहिठाम आबैत अछि। शिव विवाह केँ मनोरम झांकी आओर कलश शोभा यात्राक संग संयोजक डॉ राम मोहन झा, लक्ष्मण कुमार झा उर्फ लड्डू लाल, संजीव कुमार झा, श्याम नारायण झा अनिल कुमार झा, युगो राम मोती सदाय सहित कैको गणमान्य उपस्थित छला।