चंदन कुमार दास हालही मे जेल सँ छुटिकें आयल छल। मृतकक परिवारक मुताबिक राहुल केँ दोस्त विजय मंडलक लड़का सांझक करीब 5 बजे राहुल केँ घर सँ बजा क' ल' गेल छल। बताओल जे रहल अच्छी कि ऐहिक बाद राहुल क' बहुत शराब पियाओल गेल। नशाक हालत मे बेसुध भ' चुकल राहुल केँ ओहिक बाद हत्याक मुख्य आरोपी चंदन केँ सौंप देल गेल। ऐहीक बाद चंदन राहुल केँ गोली माएर हत्या क' देलक।
राहुलक हत्याक बाद तमसायल लोग सभ शहर केँ मुख्य रोड दोनार चौक केँ जाम क' देलक। मौका पर पहुंचल पुलिस अधिकारी दिलनवाज अहमद लोग सभकेँ समझेबा बुझेबाक प्रयास कएलनि। दिलनवाज अहमद जानकारी देलथि कि मुख्य आरोपी चंदन केँ अलावा एक आओर आरोपी केँ गिरफ्तार क' लेल गेल अछि। पुलिसक मुताबिक दुनु पक्ष मे आपसी विवाद चैल रहल छल आओर दुनु पक्षक दिस सँ पहिनो हत्याक वारदात केँ अंजाम देल जा चुकल अछि।
आब एता सवाल ई उठैत अछि कि शराबबंदी बला बिहार मे आखिर एतेक आसानी सँ शराब कोना उपलब्ध भ' रहल अछि? मिथिला दैनिक पर समय - समय पर शराब पकड़बाक खबैर प्रकाशित होयत रहैत अछि मुदा शराब भेटनाई वाकई मे बंद भ' गेल अछि?