दरभंगा : रसोई गैस सिलेंडर मे लागल आगि सँ मचल अफरा तफरी

दरभंगा। 02 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] एपीएम थानाक्षेत्रक सिधौली गामक राजकुमार चौधरी केँ घर मे राखल रसोई गैसक सिलेंडर मे कैल्हि गुरु दिन एकाएक आगि लाएग गेल। आगिक लपेट एतेक तेज छल कि यदि समय रहैत फायर ब्रिगेडक गाड़ी नहि पहुंचतिए तँ आगि पूरा घरकेँ अप्पन चपेट मे ल' लेतिए आ एक बड़का दुर्घटना होमै सँ इंकार नहि कायल जे सकैछ। ओनाकि समय रहतै फायर ब्रिगेडक गाड़ी आगि पर काबू पाएब लेलक।