मधुबनी : मिथिला कप - 2018 केँ दोसर सेमीफाइनल मैच आफताब एलेवेन ठिकहा सीतामढ़ी 6 विकेट सँ जीतल

मधुबनी। 02 जनवरी। [विनोद शंकर झा लड्डू] युगांतर ट्रस्ट, पटना केर तत्वावधान मे पंडित ताराकान्त झा स्मृति क्रिकेट टूर्नामेंट, शिवनगर मैदान पर खेलल गेल। मिथिला कप 2018 केँ दोसर सेमीफाइनल मैच मे आफताब एलेवेन ठिकहा सीतामढ़ी, गुणा एलेवन पिलखवाड़ मधुबनी केँ 6 विकेट सँ पराजित करी फाइनल मे प्रवेश क' लेलक। 


यंग क्रिकेट कल्ब पहिने जायका एलेवेन केँ हरा फाइनल मुकाबले लेल  क्वालिफाई क' चुकल अछि। कैल्हिक मैचक टाॅस केँ अतिथि दरभंगा जाले प्रमुख श्री भूषण जी छला। टाॅस जीत बल्लेबाजी करैत गुणा एलेवेन पिलखवाड़ 20 ओवर मे 9 विकेट पर सम्मानजनक स्कोर 127 रनक लक्ष्य राखलक। गुणा एलेवेन केँ शुरुआत बहुत धीमा रहल आओर लगातार विकेट गिरैत रहल। राजा आतिश बल्लेबाजी करैत रन‌ गति तेज क' देलक ओतहि राजेश जिम्मेदारी आओर संघर्षपूर्ण पारी खेलैत टीमक स्कोर 127 पहुंचा देलक।  

बल्लेबाजी करे उतरल आफताब एलेवेन ठिकहा केँ सलामी बल्लेबाज सुशांत पहिले ओवर मे दू छक्का आओर एक चौका सँ16 रन बना देलक।अमर केँ बेहतरीन अर्द्धशतक 55 रन‌क बदौलत ठिकहा 16हम ओवर मे 133 रन‌ बना, 6 विकेट सँ अप्पन नाम जीत दर्ज करा फाइनल मे पहुंचे बला दोसर टीमक रूप मे क्वालिफाई क' लेलक। दुनू टीमक कप्तान अध्यक्ष, कमिटी आओर अतिथि सभक आभार व्यक्त केलनि।

कैल्हिक मैच केँ मुख्य अतिथि बेनीपट्टी अनुमंडल विकास पदाधिकारी डॉ अभय कुमार मैन आॅफ द मैच विजेता राणा केँ बल्ला आओर प्रशस्ति पत्र देलनि आ अप्पन सम्बोधन मे ट्रस्ट आओर कमिटी केँ एहि तरहक आयोजन करबाक लेल सराहना केलनि। संगहि ओ बेनीपट्टी पदाधिकारी सभक  प्रयास सँ बेनीपट्टी मे निर्माण होमै बला  इनडोर स्टेडियम आओर जीम (व्यायामशाला) केँ होमै बला निर्माणक सेहो जानकारी देलनि। आगा ओ कहलनि कि युवा सभकेँ एहि क्षेत्रक विकास, स्वच्छता अभियान आओर जागरूकताक लेल पहल करबाक जरुरत अछि।

ओतहि अतिथि बेनीपट्टी अंचल अधिकारी श्री पुरेन्द्र सिंह दुनू टीम आओर  आयोजन समिति केँ हौसला बढ़बैत खेल केँ विभिन्न धर्म, समुदाय आओर   वर्ग सभकेँ जोड़बाक अहम हिस्सा बतौलनि। संगहि ट्रस्ट द्वारा कायल जे रहल एहि टुर्नामेंट केर सराहना केलनि। अंत मे अध्यक्ष विनोद शंकर झा लड्डू दुनू पदाधिकारी केँ आयोजन‌ मे आबिकें कमिटी सदस्य सभक उत्साहवर्धन लेल आभार व्यक्त केलनि आओर कमिटी सदस्य समीर मोनू, अजित, शैलेन्द्र कुमार मिश्र, नंदन, मुरारी, दीपक, गणपति, राहुल, विकास, श्याम, आदि केँ सहयोग लेल धन्यवाद देलनि। 

एहि टूनामेंटक फाइनल 4 फरवरी, रवि दिन यंग क्रिकेट क्लब दरभंगा आओर आफताब एलेवेन ठेकहा सीतामढ़ी केँ बीच शिवनगर मैदान पर खेलल जायत। 

युगान्तर ट्रस्ट द्वारा प्रायोजित मिथिला कप- 2018 - लीग मैच स्कोर विवरण;

दोसर सेमीफाइनल मैच

आफताब एलेवेन ठिकहा, सीतामढ़ी vs गुणा एलेवन पिलखवाड़, मधुबनी

टाॅस - गुणा एलेवन (बल्लेबाजी) -127 रन (20ओवर)/9 विकेट।
आफताब  ऐलेवन -133/4 विकेट (15.4ओवर)
परिणाम -आफताब एलेवेन ठिकहा 6 विकेट सँ विजयी।
मैन ऑफ द मैच - राणा (55 रन)