दिल्ली मे मधुबनी जिलाक बेला - देवरा निवासी युवकक पीट-पीट हत्या, पूरा गाम मे पसरल मातम

मधुबनी। 03 फरवरी। [मिहिर कुमार झा "बेला"] दिल्ली केँ थाना नबी करीमक पहाड़गंज लग गुरु दिन देर राति मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंडक अंतर्गत बेला -देवरा निवासी महिनाथ यादव केँ एकलौता पुत्र बोलबम यादव 25 बरख केँ हत्या क' देल गेल।


हमलावर सभ राति मे ने घर जेबाक दौरान रास्ता सँजाते युवक बोलबम यादव केँ अपहरण क' लेलक आओर ऐहिक बाद हाथ- पाएर बान्हि हुनकर पीट - पीट  बांधकर उसको पीट-पीट हत्या क' देल गेल। बाद मे हुनकर पिता केँ दिल्ली पुलिस द्वारा सुचना भेटल कि हुनकर कोनो रिस्तेदारक मौत भ' गेल अछि। 


शकक आधार पर मृतक केँ परिवारक लोग हत्या करय बलाक मोबाइल नंबर सेहो देना अछि। जखन मौत भेल छल, युवक केँ मोबाइल नंबर बंद छल। उसी मोबाइल नंबर सँ मृतक केँ कनिया लग फ़ोन जायत छल, किएक जे मृतक लग कोनो मोबाइल नहि छल। प्राप्त खबैर केर मुताविक पुलिस मृतक केँ शव परिजन केँ देबा सँ मना क' रहल अछि। मृतक केँ चाचा पुलिस सँ अनुरोध करैत पुलिस केँ ज्ञापन सौपलक ऐहिक बावजूद नहि भेटल शव।