डिवाईडर स टकरैल स्कॉरपियों, घायल डीएमसीएच रेफर



मधुबनी : झंझारपुर थाना क्षेत्रक कन्हौली गाम के समीप एनएच 57 पर तेज गति स जा रहल एगो स्कॉरपियों डिवाईडर स टकरा पलटैक 20 फीट निचा चैल गेल। गाड़ी में सवार सभ 10 गोटा घायल भ गेलैथ। जेहिमे छः गोटा के प्राथमिक चिकित्साक बाद अनुमंडलीय अस्पताल स दरभंगा डीएमसीएच रेफर क देल गेल अछि।

राइत में भेल एहि घटना में बहुत दिक्कत स घायल आदमी सबके वाहन स बाहर निकालल गेल। दुर्घटना के तेज आवाजक कारण किछु स्थानिय लोक पहुंचलैथ आओर पुलिस के सूचना द क घायल सबके के अस्पताल पहुंचेबा में मदद केलैथ। वाहन पटना स फारविशगंज जा रहल छल। सब गोटा फारविशगंज के बताएल गेला। घायल में फारविशगंज जिलाक नरगम्मा गांवक निवासी सावित्री देवी, राजपुति देवी, आंचल कुमारी, राम कुमार, अंकित कुमार, शोभा देवी, सरोज कुमार, मीरा देवी, रवि कुमार, और रामप्रवेश भगत शामिल छैथ। ऐहीमें सावित्री देवी, राजपुति देवी, आंचल कुमारी, राम कुमार,शोभा देवी, मीरा देवी व अंकित के रेफर केएल गेल अछि। झंझारपुर थाना पुलिस घटनास्थल पर चौकीदार के सुरक्षा में लगा देने छैथ।