दरभंगा। 01 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय (LNMU) मे छात्र संघक चुनावक क'केँ 3 फरवरी के बैठक केर आयोजन होयत। जाहि बैठक मे सभ महाविद्यालयक प्रधानाचार्य, मानविकी, सामाजिक विज्ञान, विज्ञान व वाणिज्य केर संकायाध्यक्षक संग संघक चुनावक पदाधिकारी सभ भाग लेत।
मुख्य चुनावक पदाधिकारी डॉ. रतन कुमार चौधरी कहलनि कि बैठक कुलपति केर अध्यक्षता मे 2.30 बजे सँ वनस्पति विज्ञानक सभागार मे होयत। एहि बैठक मे महाविद्यालय व संकाय मे अंतिम रूप सँ प्रकाशित मतदाता सूचीक संग आनबाक निर्देश देल गेल अछि। ऐहिक संगहि बुथक संख्या केर अनुमानित आंकड़ा सेहो साथ मे आनबाक लेल कहल गेल अछि। पदाधिकारी सभकेँ नामांकन पत्र, घोषणा पत्र प्रारूपक प्रति पहिने उपलब्ध करा देल गेल अछि। जखनकि, शपथ पत्रक कॉपी मेल सँ भेज देल गेल अछि।