कनिया संग झगड़ा भेला पर पति खेलक जहर, डीएमसीएच मे इलाजक दौरान भेल मौत

मधुबनी। 01 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] मधुबनी जिलाक अरेर थाना क्षेत्रक कपसिया गाम  निवासी छट्ठू मुखियाक 35 वर्षीय पुत्र लूटन मुखियाक मौत जहर खेलाक कारण इलाजक दौरान कैल्हि बुध दिन  डीएमसीएच मे भ' गेल। मृतकक भतीजा शत्रुधन कुमार कहलनि कि बीतल राति हमर चाची आओर चाचा जीक बीच कोनो बात ल'केँ विवाद भेल छल। जाहिमे हमर चाचा बहुत तामस मे आएब गेला आओर घर मे राखल कीटनाशक दवा खा लैला। हुनकर हालत देख पहिने स्थानीय तौर पर इलाज कराओल गेल। बाद मे हुनकर हालत बिगड़ैत देख हुनका इलाजक लेल डीएमसीएच आनल गेल जता इलाजक दौरान हुनकर मौत भ' गेल।