मुजफ्फरपुर : चमड़ा कारोबारक नाम पर चलैत छल बूचड़खाना, खुलासा भेलाक बाद भड़कल बवाल

मुजफ्फरपुर। 01 फरवरी। मुजफ्फरपुर केँ बेला औद्योगिक क्षेत्र मे एक आओर मांस फैक्ट्री केर पर्दाफाश भेल अछि। बेला फेज-2 मे आलम टेनरी नामक फैक्ट्री सँ मांस आओर मीट प्रोसेसिंग उपकरण बरामद कायल गेल अछि। पुलिस व प्रशासन केँ विशेष टीम एक संग तीन फैक्ट्री मे में जांच -पड़ताल केलक। जांचक दौरान आलम टेनरी सँ 4 क्विंटल सँ बेसी मांस बरामद कायल गेल। बगले के ग्रीन लेदर आ एक अन्य फैक्ट्रीक सेहो  पड़ताल कायल गेल। एतहु चमड़ा व चमड़ा सँ बनल उत्पाद भारी मात्रा मे बरामद होयबाक खबैर अछि। 


एनिमल वेलफेयर बोर्ड ऑफ इंडिया केँ अधिकारी नीरू गुप्ता कहलनि कि जाहिठाम मांस आओर मीट प्रोसेसिंग उपकरण बरामद कायल गेल अछि ई बहुत पैघ फैक्ट्री अछि आओर एहिठाम बड़का पैमाना पर मांस तैयार करबाक काज होयत छल। बियाडा केर जमीन पर मीट प्रोसेसिंग सहित छह फैक्ट्री लेदर कारोबारक नाम पर चलैत अछि। ऐहिक आड़ मे बहुत दिन सँ मांस फैक्ट्री चलेबाक बात सामना आयल अछि।

बियाडा केँ जमीनक उपयोग अवैध रूप सँ मांस फैक्ट्री चलेबाक सवाल पर बियाडा केर अधिकारी कहलनि कि सूचना भेटला पर हुनका सभकेँ नोटिस देल गेल छल। एम्हर, फैक्ट्री सभ पर छापामारी मे मांस केर अवैध कारोबार चलैत देख लोग सभक हुजूम जमा भ' गेल। लोग सभ प्रशासन सँ बहुत खफा नजैर आबैत छल। फैक्ट्री केँ भीतर घुसी हल्ला-हंगामा करबा पर उतारु भीड़ पर काबू पेबा मे पुलिस व प्रशासन केँ बहुत मशक्कत करे पड़ल।