57 बोतल अवैध बिदेशी शराबक साथ व्यवसायी गिरफ्तार



दरभंगा [प्रणव कुमार चौधरी] : सिंहवाड़ा थाना क्षेत्रक रामपुरा गांव में बीतल राइत सिंहवाड़ा थाना पुलिस गस्ती करैय काल छापामारी क 57 बोतल विदेशी शराबक साथ दु टा अवैध रूप सs धंधा केनिहार के गिरफ्तार कएलक। 

प्राप्त सुचानक मुताबिक पुलिस के गुप्त सूचनाक भेटल छल कि रामपुरा में अवैध रूप शराब बेचल जाइत अछि। पुलिस दुनु के गिरफ्तार क थाना आइन पूछताछ शुरू क देने छैथ। सब शराब हरियाणा निर्मित अछि , एही में राॅयल स्टैग के 750 एमएलक 12 बोतल, आओर 180 एमएलक 45 बोतल शराब बरामद कैल गेल अछि।

गिरफ्तार युवकक पहचान रामपुरा  गांवक निवासी रामसेवक चौधरी आओर गोविंद कुमार ठाकुर के रूप में कएल गेल अछि । थानाध्यक्ष सत्य प्रकाश झा कहलैथ कि दुनु व्यवसायी के विरुद्ध उत्पाद अधिनियमक तहत प्राथमिकी दर्ज क लेल गेल अछि।