दिल्ली : मिथिलांचल, पूर्वांचल स्वाभिमान मंच केर तत्वावधान मे होयत होली मिलन समारोह केर आयोजन

नई दिल्ली। 10 फरवरी।[मिहिर कुमार झा "बेला"] देशक राजधानी केँ किरारी विधानसभाक अन्तर्गत - बलजीत विहार मे मिथिलांचल ,पूर्वांचल स्वाभिमान मंच केर तत्वावधान मे धूम - धामक संग 1 मार्च केँ होली मिलन समारोह मनाओल जायत।

अपने क' बता दी कि संगठन पछिला तीन बरख सँ एहि तरहक आयोजन क' रहल अछि। एहि बेरक तेसर होली मिलन समारोह कार्यक्रम मे देशक बहुत रास नामचीन अतिथि सभ भाग लेता। एहि अवसर पर मैथिली लोक संगीत आओर भोजपुरी गीत संगीत पर आधारित सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन सेहो होयत जाहि मे पूर्वांचलक कैको सुपरस्टार गायक सभ भाग लेता।