दरभंगा : चोरीक पांच मोटरसाइकिल संग तीन गोटा गिरफ्तार

दरभंगा। 10 फरवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] दरभंगा जिलाक पुलिस कैल्हि शुक्र दिन चोरीक पांच मोटरसाइकिल बरामद करैत तीन शातिर चोर केँ गिरफ्तार केलक। ओनाकि, एक अपराधी पुलिस केँ चकमा द' फरार भ' गेल। पुलिस हुनका घर सँ चोरीक दू मोटरसाइकिल आओर एक साइकिल जब्त केलक। गिरफ्तार अपराधी सभक गिरोह पछिला किछु दिन मे कैको घटना केँ अंजाम द' लगभग एक दर्जन मोटरसाइकिल उड़ेबाक काज केना अछि। ओनाकि, बरामद मोटरसाइकिल केँ मालिकक पहिचान खबैर लिखैय धरी नहि भेल अछि। 

प्राप्त खबैर केँ मुताबिक पुलिसक हाथ लागल शातिर सभमे दू शातिर किछु दिन पहिने जेल सँ निकलल अछि। जेल सँ निकलबाक बाद सभ कियो संगठित भ' चोरी करबाक प्लान बनेलक। गिरफ्त मे आयल अनुभव झा बिरौल थाना क्षेत्रक साहो पड़ी गाम निवासी गंगा झा केँ पुत्र छथि। ओ फिलहाल लहेरियासराय थाना क्षेत्रक बलभद्रपुर मोहल्ला स्थित पोखरभिड़ा लग किराया केँ मकान मे रहैत छथि। ओतैय दोसर रामचंद्र लालदेव बहादुरपुर थाना क्षेत्रक टग्ही गाम निवासी सुरेश लालदेव केँ पुत्र छथि। जखनकि तेसर केशव सहनी बहादुरपुर थाना क्षेत्रक बहादुरपुर गाम  निवासी लालबाबू सहनी केँ पुत्र छथि।  

एएसपी दिलनवाज अहमद कहलनि कि अनुभव झा एहिसँ पहिनो मोटरसाइकिल चोरी करबाक मामला मे जेल जा चुकल छथि। ओतैय विशनपुर थाना क्षेत्र सँ बरामद शराब मामला मे केशव सहनी क' गिरफ्तार कायल गेल अछि। ई दुनू किछु पहिने सँ निकलल छल। लहेरियासराय थाना क्षेत्रक अभंडा मोहल्ला निवासी राजकुमार राय केँ पुत्र हनुमान राय फरार बताओल जे रहल अछि। ओनाकि, हुनक घर सँ चोरीक दू मोटरसाइकिल आओर एक साइकिल बरामद भेल अछि। प्राप्त खबैर केँ मुताबिक हनुमान फिलहाल दिल्ली मे छथि। हुनकर पिता केँ हिरासत मे ल' लेल गेल अछि। एहि बातक खबैर भेटला पर हनुमान दरभंगा आबैय लेल ट्रेन पकैड़ लेना छथि। एहि छापामारी मे लहेरियासराय थानाध्यक्ष आरके शर्मा, बेंता ओपी प्रभारी आशुतोष झा, बहादुरपुर थानाध्यक्ष आरएन सिंह, सोनकी ओपी प्रभारी धर्मपाल सहित कैको पुलिस पदाधिकारी शामिल छलैथ।