कल्याणपुर प्रखंडक दरियापुर मे पानक दोकान चला बेटी केँ पढ़बै बला जाकिर हुसैन केँ सपना टूटैत नजैर आएब रहल अछि। ओतहि बिहार बोर्ड केर लापरवाहीक चलते हुनकर बेटी इंटर परीक्षा देबै सँ वंचित भ' गेली। लिहाजा, यासमीन केँ आँखिक नोर रुकबाक नाम नहि ल' रहल अछि। बिहार बोर्डक गलती केँ कारण बेटीक ई हालत देख परिजन सभ परेशान छथि आओर जिलाक सभ अधिकारी सभक दरबार मे हाजरी लगा चुकल छथि मुदा सभ जगह हुनका निराशा हाथ लागल अछि।
दरअसल, जाकिर हुसैन केँ बेटी गरीबी मे दू बरखक इंटर केँ पढ़ाई बहुत जतन सँ केना छली। खुशी-खुशी ओ परीक्षाक फार्म भरली आओर प्रैक्टिकल परीक्षा सेहो देली। मुदा लिखित परीक्षाक पहिने छात्रा केँ एडमिट कार्ड पर अंकित रौल नम्बर बदलल होयबाक मामला उजागर भेल अछि। एडमिट कार्ड पर अंकित रौल नम्बर कोनो छात्रक अछि। एडमिट कार्ड मे भेल बदलाव सँ छात्राक पूरा परिवार परेशान अछि आओर अधिकारी सभक दरबार मे चक्कर लगा रहल अछि।