रास्ता लेल सेना केँ जवान आओर ग्रामीण सभक बीच विवाद, माएरपीट मे कैको घायल

मुजफ्फरपुर। 08 फरवरी। मुजफ्फरपुर मे जता एक दिस जगह-जगह पाकिस्तान द्वारा मारल गेल सैनिक सभक विरोध मे पाकिस्तानक झंडा जराओल जे रहल अछि। ओतहि दोसर दिस आम जनता आओर अप्पन देशक सैनिक आपसे मे लैड़ रहल अछि। मामला काजीमोहमदपुर थाना क्षेत्रक अछि, जता सड़क विवाद मे सैनिक आओर जनता आपसे मे भीड़ गेला।  

इ मामला काजीमोहमदपुर थाना क्षेत्रक जाट रेजिमेंट लगक अछि, जता सेना केँ जवान आओर मोहल्लावासी सेनाक जमीन पर नाली केँ पैन गिरेबाक विवाद मे आपसे मे भीड़ गेल। पहिने स्थानीय लोग सभ कैको सेनाक जवान सभक पिटाई क' देलक। ओहिक बाद रेजिमेंट केँ जवान सभ   अगल - बगल केँ लोग सभक घर घुसीकेँ माएरपीट केलक। 

एहि घटना मे दुनू दिसक कैको लोग घायल बताओल जे रहल अछि। जाहिमें एक सैनिकक हालत गंभीर बनल अछि, जिनका इलाजक लेल दानापुर भेजल गेल अछि। ओतहि स्थानीय लोग सभक कहब अछि कि सेनाक लोग रास्ता सँ गुजरनबा लेल हुनका सभकेँ मना करैत छल, जाहिक लेकर इ विवाद भेल। 

ओतहि, रेजिमेंटक JCO केँ कहब अछि कि विवादित जमीन सेना केँ अछि, जाहिपर स्थानीय लोग सभक द्वारा नाली केँ पैन बहाओल जायत अछि। ऐहिक विरोध करे पहुंचल सैनक सभ पर महिला-पुरुष सहित करीब 50 गोटा हमला क' देलक जाहिमे कैको जवान जख्मी भ' गेलथि। स्थानीय लोग सभ सेना केँ जवान सभसँ इंसास राइफल सेहो छिनबाक प्रयास केलक। बाद मे पुलिसक हस्तक्षेप केँ बाद दुनू पक्ष शांत भेल।