मिथिलांचल मे पछुआ हवा बढ़ेलक सिहरन, नीचा गिरल तापमान

सहरसा। 08 फरवरी। सहरसा समेत सगर मिथिलांचल मे आय भोर मौसम साफ रहल आओर रौद सेहो निकलल। एहि बीच चैल रहल पछुआ हवा सिहरन बढ़ा देना अछि। सहरसा केँ न्यूनतम तापमान कैल्हिक अपेक्षा आय करीब एक डिग्री सेल्सियस निचा गिरल। 

मौसम विभाग अप्पन पूर्वानुमान मे कहने अछि कि अगिला दू दिन धरी  दक्षिण व पश्चिम बिहार सहित राज्य केँ कैको हिस्सा मे बादल छाओल रहत, ओनाकि बारिशक संभावना कम अछि। एहि बीच, अधिकतम तापामन मे मामूली उतार-चढ़ाव देखबाक लेल भेटत। पटना मौसम विज्ञान केंद्रक मुताबिक आय गुरु दिन सहरसा केँ न्यूनतम तापमान 11.2 डिग्री सेल्सियस दर्ज कायल गेल।