बैसार मे निम्नलिखित प्रस्ताव पर चर्चा कायल गेल। आजुक बैसार मे आगामी 23, 24, 25, 26 मार्च 2018 केँ रामनवमी केँ सुअवसर पर आयोजित वाणेश्वरी भगवती महोत्सव केँ रजत जयंती क' ऐतिहासिक स्तर पर सफलता पूर्वक संपन्न करेबाक लेल प्रखंड स्तर पर स्वागत समिति गठन करबाक निर्णय लेल गेल। स्वागत समिति केँ घोषणा अगिला दस दिनक भीतर कायल जायत। ऐहिक संगे पुरनका प्रबंधन समिति केँ भंग करी नवा प्रबंधन समिति केर गठन पर विचार सेहो कायल गेल।
प्रबंधन समिति केँ घोषणा अगिला15 दिनक भीतर करबा पर विचार कायल गेल। आजुक बैसार मे बहुत रास आन मुद्दा पर सेहो चर्चा भेल। बैसार मे आजुक सभ मुद्दा पर सर्वसम्मति सँ निर्णय लेल गेल। बैसार मे डॉ राम मोहन झा, नरेंद्र नारायण दास, दुर्गानंद झा फुल कुमार झा, बिहारी सदाय, प्रोफैसर उमेश चंद्र झा, श्रीमती सुंदर मणि देवी, श्री लक्ष्मण कुमार झा, श्री सुखदेव मंडल, श्री राघवेंद्र झाक संगे संग बहुत गोटा उपस्थित छलथि। बैसारक अंत मे समिति केँ अध्यक्ष राघवेंद्र झा बैसार मे उपस्थित होयबाक लेल सभ सदस्य लोकनि केँ आभार व्यक्त केलनि।