दरभंगाक डबल इंजीनयर हत्याकांडक फैसला आओत आय


दरभंगा : 26 दिसम्बर 2015 केँ अभियंता मुकेश कुमार आ ब्रजेश कुमारकेँ दिने-देखार एखुनका नव हथियार AK-56 सँ अंधाधुंध गोली चलाकय हत्या कय देल गेल छल।

दू बरख पूर्वहिं 26 दिसम्बर 2015 केँ साढ़े 700 करोड़क योजनामे दस टकाक रंगदारी माँगबाक कारणे कएल गेल बहुचर्चित दू टा अभियंताकेँ हत्याकांडक आय फैसला एबाक घरि अछि। अदालतमे अहि मामलाकेँ सत्र वाद संख्यां 146-16 केर सुनवाई स्पीड ट्रायल केर तहत पूरा भs गेल छैक।
26 दिसम्बर 2015 केँ दोहरा इंजीनियर हत्याकांड पर न्याय निर्णयके लेल पंचम अपर सत्र न्यायाधीश रूपेश देवक अदालत आजुक दिन 26 फरवरी निर्धारित कएने अछि आ अहि मुकदमाक काराधीन अभियुक्तकेँ वीडियो कॉन्फ्रेंसिंगक माध्यमसँ फैसला सुनाओल जायत।

विदित हो जे 26 दिसम्बर 2015 केँ बहेड़ी थाना क्षेत्रक शिवराम चौक पर एसएच 88 सड़ककेँ निर्माण काज करबा रहल बीएससी आओर सी एंड सी केर इंजीनियर मुकेश कुमार आ ब्रजेश कुमारकेँ दिने-देखार नव हथियार AK-56 सँ अंधाधुंध गोली चलाकय मारि देल गेल छल। एकर प्राथमिकी बहेड़ी थानामे मृतक मुकेश कुमारकेँ भातिज धीरज सिंहक बयान पर मुकेश पाठक आओर विकास झा सहित आरओ अनचिन्हार अपराधी सबकेर विरुद्ध मामला दर्ज कराओल गेल छल।

रंगदारी केर माँगक कारणे दिने-देखार दू टा इंजीनियरकेँ भेल अहि हत्यासँ समूचा बिहार त्राहिमाम मची गेल रहैक। अनुसंधानक दौरान अहि केसमे पुलिस कुल सोलह टा अभियुक्त केर खिलाफ आरोप-पत्र समर्पित कएने छल जेकर सुनवाई स्पीड ट्रायल केर तहत रोजदिन चलि रहल छल।