"सुच्चा मैथिलक" मिथिला में कार्यकर्त्ता सम्मलेन आर मुम्बई में होली मिलन समारोहक तैयारी लेल बैसार भेल संपन्न



मधुबनी  : "सुच्चा मैथिल सामाजिक संगठन" द्वारा मिथिलाक मधुबनी स्थित बेनीपट्टी,कटैया, जगवन में सुच्चा मैथिलक  बैसार बिरबल यादव अध्यक्षता में सफलता पूर्वक  संपन्न भेल। एहि बैसार में मुख्य बिंदु शिक्षा रहल जाहि पर श्री यादव कहलनि जे मिथिलाक पछुआयल हर घर सँ कम सँ कम एकटा सदस्य उच्च शिक्षा ग्रहण कय निक जगह पर पँहुचय।

आब मिथिला टीम तीव्र गति सँ काज करय इहो पर सब सदस्यगण गंभीर भय विचार विमर्श केलाह संगे आर बहुतों मुद्दा पर चर्च भेल जेनाकी सदस्यता अभियान, मिथिला टीम में बदलाव, जिला स्तरीय, प्रखंड स्तरीय टीमक गठन आदि। बैसार में बिरबल यादव, लालबाबू यादव,सुशिल मंडल,भरत शर्मा उर्फ़ लव किशन,गणेश मंडल,अमलेश मंडल, रतीश राय, शत्रुध्न यादव ,ललित यादव ,कैलाश यादव ,रामशेवक यादव,विजय लाल यादव,एजु यादव,राम बाबू मंडल ,दूर दूर सँ सदस्य सब पहुँच कय बैसार सफल बनेलाह।

दोसर दिश मुम्बईक उपनगरीय क्षेत्र वसई-विरारक नालासोपारा (पश्चिम)राजा चाल,मुम्बई बाजार मे महाराष्ट्र टीमक सेहो  बैसार कयल गेल । जाहि मे होली मिलन समारोहक आयोजन लेल तैयारी में की कोना कयल ताहि पर विचार कयल गेल।ओना त सुच्चा मैथिल टीम पिछलों साल निक जकाँ होली मिलन समारोहक आयोजन मीरा रोड में आयोजित कयल गेल छल, मुदा एहि बेर और बेसी भव्य रूप सँ मनायल जाय ताहि पर विचार कयल गेल।एहि आयोजनक जगह एहन होय की मुंबईक सब ठाम सँ सदस्य सुलभता सँ पहुँच सकय ताहिक लेल सब सदस्यक सहमती सँ विले पार्ले (पश्चिम) निर्णय लेल गेल।एहि बैसार में मनोज मंडल,संतोष मंडल,राम इक़बाल यादव,राधेश्याम मंडल,दिगम्बर शर्मा,अजित मंडल, अरविन्द सिंह संग बहुतों लोक शामिल भ बैसार सफल बनेलाह।