अपन अधिकारक लेल धानुक जातिकेँ एकजूट होबाक दरकार : मंगनीलाल

दरभंगा : धानुक जातिकेँ लोक आर्थिक तंगी केर कारण अपन रोजी-रोटीक वास्ते खानाबदोश आ गुमनामीक जिनगी जी रहल अछि। अहि जातिक मानसिक आ शारीरिक शोषण अतेक बेसी भेलैक अछि जेकर कारण मुख्यधारा सँ कटि गेल अछि। अनुसूचित जातिमे शामिल केलाक बादे एकरा मुख्यधारासँ जोड़ल जा सकइयै आ तकरा लेल अहि जातिकेँ सभ लोककेँ एकजूट होबै पड़तैक। ई गप सोमदिन पोलो मैदानमे 'अखिल भारतीय धानुक उत्थान महासंघ' द्वारा आयोजित धानुक आक्रोश रैलीकेँ अपन संबोधनमे पूर्व केंद्रीय मंत्री मंगनीलाल मंडल कहलनि। 

आगाँ कहलनि जे सभ पार्टी हमरा सबकेर अपन फायदाक वास्ते उपयोग कएलक अछि तैं आब अपन हक केँ वास्ते एकजूट भेनाइ आवश्यक अछि। जखन अहि जातिके लोकमे एकजूटता आबि जायत तखनहि अपन अधिकारक लेल लड़त आ आवाज उठायत। धानुक जातिकेँ लोक समूचा देशमे पसरल अछि। अहि जातिकेँ लोक सामाजिक, आर्थिक, शैक्षणिक आ राजनैतिक रूपे उपेक्षित अछि। एखनहु अहि समाजक लोकमे अशिक्षा, बेगारी आ भुखमरी व्याप्त छैक। अहि मौका पर सभाकेँ अध्यक्ष गोपाल मंडल कहलनि जे सरकारमे अपन भागीदारी सुनिश्चित करबाक लेल आवाज उठेबाक दरकार अछि। 

धानुक जातिकेँ आर्थिक तंगी केर कारण अहि समाजक बेसी लोक पलायन करबाक लेल विवश अछि। धानुक जातिकेँ संख्या बहुतरास छैक मुदा विकास एक्कहु रत्ती नहि। पटनाके मोकामासँ आयल विमल कुमार कहलनि जे धार्मिक ग्रंथमे सेहो अहि जातिकेँ वर्णित कएल गेल अछि। जिला सचिव रामचंद्र मंडल कहलनि जे आरबी रसल आ हीरालालकेँ किताबमे अहि जातिकेँ धनुष धारण केनिहार बताओल गेल अछि।

सभाकेँ पूर्व विधानपार्षद रामबदन राम, भारत भूषण मंडल, आरती देवी, दयाल मंडल, अमित मंडल, गणेश मंडल, दिनेश मंडल, मोहन मंडल, रामचंद्र मंडल, लक्ष्मीकांत मंडल, सोनू मंडल आ सत्यनारायण मंडल सेहो संबोधित कएलनि