छात्रसंघ चुनावक बाद एमएसयू कएलक प्रेस कॉन्फ्रेंस, अध्यक्ष नवदिया कर्मचारीके मिलीभगतकेँ लगौलक आरोप

दरभंगा : मंगलदिन ललिल नारायण मिथिला विश्वविद्यालय परिसर स्थित धरनास्थल पर आयोजित प्रेस सम्मेलनमे एमएसयू केर छात्र नेता सभ कहलक जे छात्रके समस्या आ कल्याणक पक्षमे छात्र लोकनि खूब बढ़ि-चढ़िकय भोंट कएलनि जाहिमे हमर उम्मीदवार सभकेँ खूब सफलता भेटल। लोकतंत्रमे विश्वास केर हत्या दरभंगा आ मधुबनीकेँ बहुतरास कॉलेजमे देखबाक भेटल। मिथिला स्टूडेंट यूनियन द्वारा विश्वविद्यालय परिसरमे छात्रसंघ चुनाव मादे आयोजित प्रेस वार्ताकेँ विश्वविद्यालय अध्यक्ष सागर नवदिया संबोधित कएलनि। अध्यक्ष कहलनि जे छात्रसंघ चुनावमे छात्र लोकनि खूब जमिकय भोंट कएलनि मुदा अहि चुनावमे मधुबनी आ दरभंगामे राजनीतिक हस्तक्षेप आओर कर्मचारीकेँ मिलीभगत होबाक कारणे बहुतरास जीतल सीट पर पूर्वनियोजित कार्यक्रमक अनुसार हमर उम्मीदवार सबकेर हराओल गेल।

विदित हो जे पछिला 25 तारीखकय 40 साल बाद ऐतिहासिक छात्रसंघ चुनाव केर ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय अधीन समस्त 43 कॉलेज पर आयोजित कएल गेल छल जाहिमे तमाम छात्र संगठन केँ उम्मीदवार अपन जीत सुनिश्चित करबाक लेल मैदानमे उतरल छल। 

अहि चुनावके मुख्य आकर्षण नव आ चर्चित छात्रसंगठन 'मिथिला स्टूडेंट यूनियन' सेहो छल जे सेहो अपन तमाम उम्मीदवारकेँ अलग-अलग पद पर ठार कय अहि चुनावके रोचक आ गंभीर बनौलक। अहि चुनावके 'मिथिलावाद' आ 'राष्ट्रवाद' सँ जोरि सेहो देखल जा रहल अछि।