दरभंगा [ प्रणव कुमार चौधरी ] : जिलाक मब्बी ओपी इलाकाकेँ मब्बी बेलौनामे आय सोमदिन मब्बी-कमतौल रोडक मब्बी चौकसँ 500 मीटरके दूरी पर रोडके पुबारी कात सरसोकेँ खेतमे एकटा महिलाक लहाश भेटलाहसँ इलाकामे कोहराम मचि गेल छैक।
करीब 30 सालक अहि महिलाक गर्दैनमे ओढ़नी देखि लागैत छैक जे आरोपी गर्दैन दबाकय ओकर हत्या कएने छैक। घास काटिनिहाईर लोक सभ जखन लहाश देखलक तs घटनाक समाद पुलिस केर देलनि।
मब्बी ओपी अध्यक्ष गौतम कुमार पुलिस बलकेँ संग घटनास्थल पर पहुँचिकय लाहशकेँ अपन कब्जामे लs पोस्टमार्टम लेल डीएमसीएच पठबा देलक अछि। पुलिस मामलाकेँ छानबीनमे जुटि गेल अछि।