ई मवेशी सभक चारा घर नहि मिथिलाक एक प्राइमरी स्कूल थीक

मुंगेर। 06 फरवरी। मिथिलाक कैको जिलाक किछु नहि किछु अलग फोटो बेसी काल मीडिया केर माध्यम सँ हमरा सभक समक्ष आबैत रहैत अछि। जाहिकेँ देखलाक बाद लागैत अछि कि वाकई मे अप्पन मिथिला एतेक पिछड़ल अछि। खैर, ऊपर देखकर द' रहल फोटो कुनू चारा नहि बल्कि मुंगेर केँ एक प्राइमरी स्कूलक अछि। 

दरअसल, ई फोटो मुंगेर केँ अछि। एहिठामक एक ब्लॉक मे साक्षरता कार्यालय सँ सटल सरकारी स्कूलक भवन आय कैल्हि अतिक्रमणकारी सभक कब्ज़ा मे अछि। स्कूलक छत पर अतिक्रमणकारी सभ पुआरक ढेर लगा लगा देना अछि। ऐहिक लेल ग्रामीण सभ कैको बेर आवाज सेहो उठेलक मुदा जिम्मेदार फिलहाल चुप अछि। एहिठामक एक सीनियर वकील कहलनि कि अधिकारी सभक नाकक निचा सरकारी भवन केर  अतिक्रमण कायल गेल अछि। मुदा ऐहिकेँ हटेबामे कियो रूचि नहि देखा रहल अछि। 

और नया पुराने