बिहार मे ISIS केर एंट्री? औरंगाबाद मे देबाल पर साटल भेटल आतंकी संगठन जॉइन करबाक पोस्टर

औरंगाबाद। 06 फरवरी। कुख्यात आतंकी संगठन आईएसआईएस केर मौजूदगीक बिहार मे फेर संकेत भेटल अछि। औरंगाबाद मे एक देबाल पर आईएसआईएस केँ एक पोस्टर भेटलाक बाद पूरा इलाका मे हड़कंप मचल अछि। एहि पोस्टर के जरिए आईएस आईएसआईएस लोग सभसँ संगठन संग जुड़बाक अपील केना अछि। एम्हर, ई पोस्टर सामना अएलाक बाद केंद्रीय जांच एजेंसि द्वारा अलर्ट जारी क' देल गेल अछि। 

प्राप्त खबैर केर मुताबिक औरंगाबाद जिला मे ब्रह्मर्षि चौक लग एक दीवार पर ई पोस्टर साटल भेटल अछि। पोस्टर पर हरयरका रंग सँ उर्दू आओर अंग्रेजी मे आईएसआईएस संग जुड़बाक अपील कायल गेल अछि। राहगीर सभ ऐहिक सूचना तुरंत पुलिस केँ देलक।