इंटर परीक्षाक पहिले दिन बायोलॉजी केँ प्रश्न पत्र भेल लीक

नवादा। 06 फरवरी। बिहार बोर्ड के इंटरमीडिएट परीक्षाक़ पहिले दिन प्रश्न पत्र लीक भ' गेल। अंदर परीक्षा चलैत छल आओर बाहर बायोलॉजी केँ प्रश्न पत्र वायरल भ' रहल छल। परीक्षा देबाक बाद निकलल छात्र सभ बाहर भेट रहल प्रश्न पत्र केर मिलान होयबाक पुष्टि केना अछि। नवादा केँ डीएम सेहो प्रश्न पत्र लीक होयबाक पुष्टि क' देना छथि।  

आय मंगल दिन सँ पूरा राज्य मे इंटरमीडिएट केर परीक्षा शुरू भेल। आजुक प्रथम पाली मे जीव विज्ञान केँ परीक्षा छल। परीक्षा हॉलक बाहर प्रश्न पत्र वायरल भ' रहल छल। डीएम द्वारा प्रश्न पत्र लीक होयबाक पुष्टि क' देल गेल अछि। नवादा मे कैको परीक्षा केंद्र पर कदचार क' रहल परीक्षार्थि सभकेँ निष्काशित सेहो कायल गेल अछि।  

ओनाकि बिहार बोर्ड केँ चेयरमैन आनंद किशोर प्रश्न पत्र लीक होयबा सँ  इनकार केलनि अछि। आनंद किशो कहलनि कि ई कुनू शरारती तत्व सभक करतूत अछि, परीक्षा खूब नीक जोका कदाचरा मुक्त भेल अछि। आगा ओ कहलनि कि परीक्षा शुरू भेलाक बहुत देरक बाद करीब 12 बजे प्रश्न पत्र लीक वायरल भेल अछि ऐहिकेँ लीक होयब नहि मानल जे सकैछ।