हर्षोल्लास संग सम्पन भेल याज्ञवल्क्य महोत्सव


मधुबनी [राजेश मिश्र]: मंगलदिन हरेक सालक भांति इहो बेर याज्ञवल्क्य महोत्सव केर आयोजन खूब धूमधामसँ सम्पन्न भेल। विदित हो जे ई आयोजन मधुबनी जिलाक जगवन गाममे जे याज्ञवल्क्य ऋषि केर तपोभूमि रूपे विश्वविख्यात अछि ओतहि हरेक साल खूब हर्षोल्लास संग मनाओल जाएत अछि। कार्यक्रमक मुख्य अतिथि अनुमंडल विकास पदाधिकारी (एसडीओ) मुकेश रंजन आओर पुलिस उपाधीक्षक (डीएसपी) पुष्कर कुमार छलाह। समारोहकेँ उद्घाटन विधानसभा विधायक फैयाज अहमद केर हाथों कएल गेल। कर्यक्रम केर शुरुआत दीप प्रज्वलितसँ भेल। तकरा बाद कवि सम्मेलन जाहिमे जीवविज्ञानक अवकाश प्राप्त शिक्षक आ कवि श्री शंकर राय श्रोताकेँ अपन कवितासँ खूब आनंदित केलनि, वर्तमानमे कवि श्री शंकर राय बाबा विद्यापति डीह केर सेवामे अपन समय दs रहलाह छथि। दरभंगासँ श्री देवनारायण यादवजी उपस्थित सभाकेँ बाबा याज्ञवल्क्य ऋषिक जीवनगाथा आ हुनक विद्वतासँ परिचय करौलनि। समिति अध्यक्ष विजय लाल यादव, सचिव अनिल श्रीवास्तव आओर समस्त ग्रामवासिक पुरजोर मेहनत आ दृढ़ संकल्पक परिणाम छल जे लगातार सब साल खूब सुन्नर आ सुनियोजित तरीकासँ आयोजनक संपादन कएल जाएत रहल अछि।

उपस्तिथि श्रोता आ कार्यक्रमक दर्शकदीर्घा केँ अनुमंडल पदाधिकारी कार्यक्रम निमित अपन संबोधन द्वारा खुबरास बधाई देलनि संगहि कहलनि जे अहाँ समस्त ग्रामवासी भविष्यमे अहितरहक कार्यक्रमक आयोजन करैत रहू आ अहिमे हमर सहयोग सदैव रहत। कार्यक्रमक अंत विजय लाल यादव उपस्थित दर्शक लोकनिक आभार आ धन्यवाद प्रकट करैत केलनि।