मैट्रिकक' परीक्षार्थि लक' जा रहल गाड़ी दुर्घटनाक' शिकार, 5 के स्थिति गंभीर


नवादा : मैट्रिकक' परीक्षार्थि लक' जा रहल मैजिक गाड़ी दुर्घटनाक' शिकार भ गेल। एही सड़क दुर्घटना में 20 स' 25 परीक्षार्थी घायल भ गेल छैथ, जाहि में 5 के स्थिति गंभीर अछि। प्राप्त सूचना के मुताबिक मैजिक वाहन पर सवार भ बच्चा सभ परीक्षा देब जा रहल छल। 

एही दौरान मैजिक अनियंत्रित भ' क' सड़कक' कात में पलट गेल। जाहि में 20-25 छात्र घायल भ गेल। सड़क दुर्घटना में घायल भेल छात्रक' इलाज नवादा सदर अस्पताल आओर निजी क्लिनिक में करायाल जा रहल अछि। मैजिक वाहन नवादा स' वारसलीगंज जा रहल छल। एही क्रम में कादिरगंज के माया बीघा के लग गाड़ी पलैट गेल। 

प्रत्यक्षदर्शी के अनुसार गाड़ी पर क्षमता स' ज्यादा बच्चा बैसेने छल। घटनास्थल पर सदर एसडीपीओ आओर एसडीएम पहुँच क' घायलक' हाल - चाल पुछलाह।