पंजाब नैशल बैंक के नीरव मोदीक' लिखल चिट्ठी स चोरी उल्टे सीना जोड़ी कहावत होयत अछि चरितार्थ



दिल्ली : पंजाब नैशल बैंक (PNB) के करीब 11500 करोड़ क' घोटाला के मुख्य आरोपी नीरव मोदी बैंक के अधिकारि पर निशाना लगबैत PNB के एकटा चिट्ठी लिखलक , जाहि में मोदी धमकी देने अछि कि मामला के सार्वजनिक क' बैंक ओकरा बकाया लेबाक सभ रास्ता बंद क' लेलक। 

आउ देखि कि अछि खास नीरव मोदी के एही चिट्ठी में ...... 


नीरव मोदी पंजाब नैशनल बैंक के ई चिट्ठी 15/16 फरवरी के लिखलक 

मोदी के मुताबिक हुंकार कपंनी के कर्ज के बढ़ा-चढ़ा क' बताओल जा रहल अछि , हुनका पर बैंक के बकाया सिर्फ 5,000 करोड़ अछि नै कि 11300 करोड़ 

मोदी लिखने अछि "13" फरवरी के हम बैंक के सेटलमेंट के लेल पेशकश कएने रही मुदा बैंक हमर बात नै सुनलक 

'हम बैंक स' कहनौ कि वो या त' हमर प्रॉपर्टी के बेच दे या फेर हमरा ओहि के बेचबाक लेल समय दै , मुदा बैंक एहन नै केएलक" 

''हमर कंपनी के 5600 करोड़ क' प्रॉपर्टी सील भेला के बाद बैंक के कर्ज खत्म भ सकैत अछि , लेकिन बैंक एहन नै केएलक "  

''बैंक के एखन तक के एक्शन स' हमर ब्रांड आर बिज़नेस के काफी नुकसान पहुंचल अछि। एहन में बैंक मामला के सार्वजनिक क' हमरा बकाया वसूलबाक सभ रास्ता बंद क' लेलक। 

''हमर परिवार के गलत ढंग स' फंसायाल जा रहल अछि, हमर कोनो कंपनी में हमर भाई  के हिस्सा नै अछि। एही के आलावा हमर पत्नी आओर हमर चाचा पर सेहो गलत आरोप लगाएल जा रहल अछि।