पटना : आपसी रंजिश मे युवक केँ गोली मारी हत्या

पटना। 27 जनवरी। पटनाक खाजेकलां थाना क्षेत्रक सोनार टोली गुरुद्वारा मोड़ पर अपराधी सभ 24 बरखक एक युवक केँ गोली मारी हत्या क' देलक। युवक गोलू राय उर्फ विकास पिता विजय यादव खाजेकलां थानाक बक्शी मोहल्ला केँ रहिवासी छलाह।

कैल्हि शुक्र दिनक सांझ 6:00 बजे के आसपास गोलू राय सोनार टोली गुरुद्वारा मोड़ सँ जायत छलाह। मोड़ सँ करीब ढाई सौ मीटरक दूरी पर हुनकर घर अछि। जहिना गोलू गुरुद्वारा मोड़ पर पहुंचला अपराधी सभ हुनका घेरि केँ ताबड़तोड़ गोली मारी देलक। अपराधी सभ कुल 4 गोली मारलक जाहिसँ गोलू केँ घटनास्थले पर मौत भ' गेल। 

गोलू केँ पिता होमगार्डक जवान छथि। ओ मंगलतालाब विद्युत कार्यालय मे तैनात छथि। स्थानीय लोग सभ कहलनि कि गोलू राय आपराधिक प्रवृत्तिक रहथिन। ओ जेल सेहो जे चुकल रहथिन। पुलिसक मुताबिक प्रथम दृष्टया बुझा रहल अछि कि वर्चस्व वा आपसी रंजिशक लेल एहि घटना केँ अंजाम देल गेल अछि। पुलिस घटनास्थल सँ चारि गोट खोखा  बरामद केना अछि आओर जांच पड़ताल मे लागल अछि।