दरभंगा। 27 जनवरी। देशक पहिल सुपरसोनिक लड़ाकू विमान 'तेजस' बनबै बला दरभंगा निवासी डाॅ मानस बिहारी वर्मा केँ गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्या पर जहिना पद्मश्री देबाक घोषणा भेल तहिना मिथिलांचलवासी मे खुशीक लहर दौड़ी परल।
दरभंगा जिलाक सुदूरवर्ती आओर बाढ़ग्रस्त मे शुमार घनश्यामपुर प्रखंडक छोट सनक गाम बाउर मे पिता आनंद किशोर लाल दास आओर माता यशोदा देवीक घर 29 जुलाई 1943 मे डाॅ वर्मा केर जन्म भेल। चारि गोट बहिन आ तीन भाई बला परिवार मे वर्मा जीक बचपनक प्रवृति देखि हुनकर माता-पिता हुनका ऋषि कहैत रहथिन।
प्रख्यात मैथिली साहित्यकार ब्रजकिशोर वर्मा मणिपद्म केर परिवार सँ संबंधित होयबाक कारण डाॅ वर्मा क' पठन-पाठन केँ उचित माहौल भेटल आओर हुनक प्रारंभिक शिक्षा गामे मे भेल मुदा हाईस्कूलक पढ़ाई ओ जिला स्कूल चाईबासा, जिला स्कूल गया आओर जिला स्कूल मधेपुर सँ प्राप्त केला। ऐहिक बाद पटना साइंस कॉलेज, बिहार इंजीनियरिंग कॉलेज आओर सागर विश्वविद्यालय सँ उच्च आओर तकनीकी शिक्षा प्राप्त केला।
दर्जनो पुरस्कार सँ सम्मानित भ' चुकल डाॅ वर्मा क' डीआरडीओ केँ 'साइंटिस्ट आॅफ द इयर' आओर 'टेक्नोलॉजी लीडरशिप अवॉर्ड' सँ क्रमशः पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी आओर पूर्व प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह सेहो सम्मानित क' चुकल छथि।
पद्मश्री भेटला सँ आश्चर्यचकित डाॅ वर्मा कहलनि कि हमरा कनिको एहि बातक आभास नहि भेल कि एहि बरख हमरा सम्मान देल जायत। ई सम्मान टीम वर्क सँ भेटल अछि आओर ऐहिक लेल हम अप्पन सभ सहयोगी केर आभारी छी। आगा ओ अप्पन हाईस्कूलक शिक्षक रहल वनखंडी झा, लक्ष्मीनारायण झा, शमसूल साहेब आओर अप्पन अग्रज क्रांति बिहारी वर्मा केँ विशेष रूप सँ याद करैत कहलनि कि हम हर एक लोग सँ प्रेरणा ग्रहण करैत छी। हमरा भीतर सिखबाक प्रक्रिया एखन धरी कायम अछि। हमर जीवन पूर्व राष्ट्रपति आओर सहयोगी रहल एपीजे अब्दुल कलाम, डाॅ कोटा हरिनारायण, डाॅ टीजी पाई, डाॅ के वी राय, डाॅ पीएन एपी राय, मिस्टर कटी आओर श्री वात्स सँ प्रेरित रहल अछि।
दर्जनो पुरस्कार सँ सम्मानित भ' चुकल डाॅ वर्मा क' डीआरडीओ केँ 'साइंटिस्ट आॅफ द इयर' आओर 'टेक्नोलॉजी लीडरशिप अवॉर्ड' सँ क्रमशः पूर्व प्रधानमंत्री अटल बिहारी वाजपेयी आओर पूर्व प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह सेहो सम्मानित क' चुकल छथि।