दरभंगा : इलाजक नाम पर आठ बरखक मासूम केर अपहरण

दरभंगा। 16 जनवरी। अप्पन बुच्ची केँ असगर छोड़ब एक परिवारक लेल महग पड़ल। घटना कुशेश्वरस्थान थाना क्षेत्रक कछुवा गामक अछि। जता पहिने मंदिर सँ पूजा करी लौटबाक दौरान आठ बरखक ज्योति कुमारी केँ तीन युवक मोटरसाइकिल सँ घक्का मारलक आओर फेर इलाजक बहाने ओकर अपहरण क' लेलक।

ई घटना कैल्हि साँझक अछि, जखन ज्योति अप्पन सहेली सभक संग मंदिर सँ पूजा करी वापस आबैत रहथिन। एहि दौरान मोटरसाइकिल हुनका धक्का मारलक जाहिमे ज्योति घायल भ' गेली जिनका इलाजक बहाने मोटरसाइकिल सवार तीन युवक अगवा क' लेलक। ज्योतिक परिजन सभ हुनका हेरबाक बहुत कोशिश केलनि मुदा हुनका सभकेँ कोनो सफलता नहि भेटल। जाहिक बाद एहि घटनाक जानकारी थाना मे पुलिस क' देल गेल। 

घटनाक जानकारी भेटते पुलिस मौका पर पहुंच मामलाक छानबीन मे जुटी गेल। पुलिसक कहब अछि कि जल्दे अपराधी सभकेँ गिरफ्तार करी एहि मामला केँ सुलझा लेल जायत। ओनाकि एखन धरी किनको गिरफ्तारी नहि भ' सकल अछि।