भागलपुर : दू वाहनक भिड़ंत मे एक केर मौत दू गंभीर रुपे घायल

भागलपुर। 16 जनवरी। विक्रमशिला पुल पर दू वाहन मे भेल जबरदस्त भिड़ंतक बाद एक केर मौत भ' गेल। जखनकि दू गोटा गंभीर रुपे घायल बताओल जे रहल अछि। दुर्घटनाक बाद तीनो गोटा घंटो पुल पर तड़पैत रहल, मुदा कियो हुनका सभकेँ अस्पताल मे भर्ती नहि करेलक।

हादसाक दू घंटा बादएक गोटा राकेश कुमार पुल सँ गुजरैत रहथिन तेँ ओ तीनो केँ पल पर तड़पैत देखलनि। जाहिक बाद ओ तीनों गोटाकेँ नजदिकक मायागंज अस्पताल पहुँचेलनि। जता डॉक्टर एक केँ मृत घोषित क' देलनि।

फिलहाल दुनू घायल केर स्थिति सेहो गंभीर अछि। इलाज क' रहल  डॉ. अजय कुमार कहलनि कि यदि समय पर तीनों केँ अस्पताल आनल जेतिए तेँ शायद किनको मौत नहि हेतिए। एहि दुर्घटनाक बाद विक्रमशिला पुल पर घंटो वाहन सभक बहुत नमहर जाम रहल। फिलहाल पुलिस मौका पर पहुंच हादसा केर शिकार गाड़ी केँ थाना ल' आयल, आओर मामलाक जांच क' रहल अछि।