कृषि मंत्री कहलनि कि 2008 मे पहिल 2012 मे दोसर आओर आब कैको करोड़क लागत सँ तेसर कृषि रोड मैप बनल अछि। पहिल आओर दोसर परफार्मेंश बहुत नीक रहल, तेसर कृषि रोड मैप बिहारक किसान सभक लेल मीलक पाथरसाबित होयत। हर जिला मे जैविक ग्राम होयत, बिहारक 38 जिला मे डैमो तैयार क' लेल गेल अछि, 2000 एकड़ मे जैविक खेती शुरू भ' गेल अछि, आगू 25,000 एकड़ मे खेती शुरू होयत।
अपने क' बता दी कि जमुई वरहट थाना क्षेत्रक अंतर्गत केड़िया गामक किसान कैको बरख सँ जैविक खाद द्वारा फसल आओर तरकारी उगाबैत अछि। जखन कृषि मंत्री ऐहिक भ्रभण करे पहुंचला तेँ मौका पर किसान सभ कृषि मंत्री केँ जैविक खाद्य सँ उत्पादित तरकारी उपहार स्वरूप भेंट केलनि। कृषि मंत्री सेहो किसान सभक जैविक खेती करबाक तरिका केँ खूब तारीफ केलनि।