एहि घटनाक सूचना पर नगर डीएसपी, नगर थानेदार समेत आन पुलिस अधिकारी मौका पर पहुंचल। ओनाकि, ताधरी बदमाश अन्हारक फायदा उठा फरार भ' चुकल छल। एक संगठन घटनाक जिम्मेवारी लेना अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक फिल्म ‘पद्मावत' रिलीज भेलाक तीन दिनक बाद कैल्हि नगर थाना लग श्याम सिनेमा हॉल मे लागल छल।
पुलिसक कड़ा सुरक्षा मे दू शो खत्म सेहो भ' चुकल छल। तेसर शो 6.30 बजे शुरू भेल छल एहि बीच, राति करीब 8.35 बजे बदमाश सभ दू पेट्रोल बम फेकलक। एक बम सिनेमाघरक मेनगेट सँ करीब 25 फीटक दूरी पर गिरल। ओतहि, दोसर बम परिसर मे लागल ऊलेन मेलाक प्रवेश द्वार सँ 30-35 फीटक दूरी पर गिरल। एहि घटनाक बाद सिनेमाघर परिसर केँ पुलिस छावनी मे बदैल देल गेल अछि।