पैडवुमन सँ चर्चित मिथिलाक बेटी ऋचा राजपूत चलौलनि सेनेटरी नैपकिन सँ सम्बंधित जागरूकता अभियान

सहरसा। 29 जनवरी। अप्पन देश मे मासिक धर्म (पीरियड्स) एक एहेन विषय अछि जाहिक बारे मे दबल दबाओल आवाज मे बात कायल जायत अछि आओर ऐहिकेँ सहज नहि बुझल जायत अछि। मुदा युवा समाजसेविका, मिथिलाक बेटी सहरसा निवासी ऋचा राजपूत महिला सभक बिच सेनेटरी नैपकिन सँ सम्बंधित जागरूकता अभियान चला रहल छथि। 

खुदक समस्या सँ प्रेरित भ' ऋचा राजपूत ग्रामीण महिला सभक बीच स्वच्छताक प्रति जागरूकताक एक नवा सनेस सेनेटरी नैपकिन बांटी द' रहल छथि। भलहि एखन धरी मिथिलांचल वासी ऋचा राजपूत सँ परिचित नही छलथि, मुदा 2015 मे "मिस बिहार" रहल आओर बिहारक कला केँ फैशन डिजाइनक क्षेत्र मे खास पहिचान देबै बाली ऋचा राजपूत महिला सभक स्वास्थ्य केर प्रति जागरूकता आनबाक उद्देश्य सँ नवा अभियान शुरू केना छथि। 


ऋचा राजपूत सहरसा स्टेशन सँ ल'केँ आन - आन इलाका पहुंच युवती सभक संगे संग महिला सभक बिच कैको दिन सँ मुफ़्त मे सेनेटरी नैपकिन  बांटी रहल छथि। ऋचा केँ मानब अछि कि हरेक महिला केँ अप्पन सेहत केर प्रति जागरूक होयबाक चाही। मुदा ग्रामीण आओर गरीब परिवारक युवती आ महिला सभ शिक्षित होयबाक बादो सेनेटरी नैपकिन केर उपयोग नहि क' पाबैत छथि। एहि कारण सँ संक्रामक गुप्तरोग पसरैत अछि। ऋचा राजपूत कहलनि कि ओ जल्दे सस्ता दाम पर सेनेटरी नैपकिन मुहैया करेबाक लेल पैड बैंक खोले जे रहल छथि। 

अपने क' बता दी कि पछिला 4 बरख सँ सामजिक काज सभमे अप्पन पहिचान बना चुकल आओर पटना केदार हाउस सँ फैब्रिक फैशन डिजाइन मे राष्ट्रीय स्तर पर बिहार केँ पहिचान द' चुकल ऋचा राजपूत सहरसा जिलाक सोनवर्षाराज क्षेत्रक सहसौल निवासी अधिवक्ता राकेश कुमार सिंह आओर नूतन कुमारी केँ बेटी छथि।