डीएसपी चौधरी कहलनि कि लौकहा मे डकैती कांडक बाद जिला पुलिस अधीक्षक द्वारा पुलिस इन्सपेक्टर मदन प्रसाद, लौकहा थाना अध्यक्ष रंजित कुमार, खुटौना थाना केँ एस एन नारंग केँ डकैती कांडक जांच केर जिम्मा देल गेल छल। जानकारी केर मुताबिक लौकहा केँ राकेश कुमार सिंहक घर आओर दोकान मे विगत 20 जनवरी केँ राति आठ अपराधी सभक द्वारा डकैती कांड केँ अंजाम देल गेल छल।
डीएसपी चौधरी आगा कहलनि कि पुलिस टीम द्वारा घटना केर खुलासा करैत छापामारी दल नट गिरोह द्वारा उक्त डकैती कांड केँ अंजाम देबाक सुचना भेटलाक बाद नेपाल सँ सटल सीमावर्ती इलाका मे पुलिस टीमक द्वारा लागातार छापामारी कायल गेल। जाहिमे दिया कड़ोरी सिया कड़ोरी बेलही बोर्डर सँ गिरफ्तार कायल गेल। हुनके निसानदेही पर राजेश कड़ोरी, जय सिंह कड़ोरी, अशोक कड़ोरी, बादल कड़ारी केँ पुलिस गिरफ्तार केलक।
सभ गिरफ़्तार भेल आरोपी थरूयाही गामक निवासी अछि। गिरफ्तार अभियुक्त लग सँ सोनाक झुमका मंगलसुत्र चेन सहित आन बहुत रास सामान पुलिस बरामद केना अछि। उक्त गिरोह नेपालक नट गिरोह केर सदस्यक रूप मे पहिचान कायल गेल अछि। डीएसपी चौधरी कहलनि कि गिरफ्तार सभ अभियुक्त डकैती कांड मे अप्पन संलीप्ता पुलिसक समक्ष स्वीकार केलक, गिरोहक अन्य सदस्य सभक गिरफ्तारी लेल पुलिस छापामारी क' रहल अछि।