मधेपुरा। 15 जनवरी। मधेपुरा मे ठंड सँ मारबाक सिलसिला रुकबाक नाम नहि ल' रहल अछि। जखनकि प्रशासन ऐहिक पुष्टि करबाक लेल तैयार नहि भ' रहल अछि। कैल्हि राति कुमारखंड प्रखंडक विशनपुर बाजार वार्ड नंबर 2 मे इन्दिरा देवी नामक महिला केर मौत ठंडक चपेट मे अएला सँ भ' गेल। जखनकि कुमारखंड प्रखंडक सिहपुरगढ़िया पंचायतक वार्ड नंबर 7 निवासी पवन ऋषिदेव केर ओहि समय ठंड लागला सँ मौत भ' गेलनि जखन ओ पैन मे घुसिकें माछ मारैत रहथिन।
सभसँ बड़का बात ई अछि कि ठंड सँ मौतक बात अंचलाधिकारी मानबाक लेल तैयार नहि छथि। जखनकि पंचायतक जनप्रतिनिधि केर कहब अछि मौत ठंड लागला सँ भेल अछि। ऐहिक संगहि प्रशासन एको मृतकक पोस्टमॉर्टम नहि करबे चाहैत अछि। ओहिठामक मुखिया कहलनि कि अगर पोस्टमॉर्टम होयत तेँ मौत ठंड सँ होयबाक पुष्टि भ' जेतिया। मृतकक परिजन सभ अंचलाधिकारी सँ मदैद केर गुहार लगा रहल अछि। एहि बाबत हुनका पत्र सेहो देल गेल अछि। मुदा सुध लेबै बला कियो नहि अछि।