मुजफ्फरपुर : स्कूली संगी सभसँ परेशान भ' महिला सिपाही केलि खुदकुशी

मुजफ्फरपुर। 15 जनवरी। हाईस्कूल सँ एक संग पढ़ी रहल सहपाठी महिला सिपाही केँ तंग करैत छलैन्ह। प्रताड़ना आओर ब्लैकमेलिंग सँ परेशान महिला सिपाही चंदा रानी आखिर काल खुदकुशी क' लेली। चंदा रानी मुजफ्फरपुरक बैरिया स्थित पुलिस केंद्रक बैरक मे कार्यरत छली।

महिला सिपाही चंदा रानी (23) केर संदिग्ध मौतक पाछू हुनकर हाईस्कूलक दू सीनियर संगी केर प्रताडऩा व ब्लैकमेलिंग केँ बात सामना आयल अछि। दुनू संगी हुनका घरक बगल केँ रहनिहार बताओल जे रहल अछि। दुनूक खिलाफ अहियापुर थाने मे नामजद प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल अछि। 

प्राथमिकी चंदाक पिता व नालंदा जिलाक इस्लामपुर थाना अंतर्गत रतनपुरा निवासी रणधीर कुमार राणा दर्ज करौलनि अछि। प्राथमिकी मे इस्लामपुर थानाक धमौली गामक हरेंद्र प्रसाद व गोपालगंज गामक लालू प्रसाद केँ आरोपित कायल गेल अछि। 

ई दुनू चंदाक हाईस्कूलक सीनियर छात्र व स्काउट आओर गाइड केँ ग्रुप लीडर छ्ल। दुनू छात्र-छात्रा सभकेँ स्काउट्स आओर गाइड्स केर ट्रेनिंग दैत रहथिन। एहि क्रम मे चंदा हुनका सभसँ जुडली। पुलिस हरेंद्र प्रसाद केँ गिरफ्तार क' लेना अछि, जखनकि लालू फरार होमै मे सफल रहल। 

प्राथमिकी मे रणधीर कुमार राणा कहलनि कि जखन हमर बेटी हाईस्कूल मे छली ओहि समय सँ ई दुनू हुनका परेशान कर करैत छल। दुनू मोबाइल सँ अश्लील बात व मैसेज भेज क' हुनका परेशान करैत छल। एतबे नहि पुलिस मे नौकरी भेलाक बादो ई दुनू हुनका परेशान करना आओर ब्लैकमेल करब जारी राखने छल। फेसबुक पर बनावटी फोटो आओर ओहिक संबंध में आपत्तिजनक पोस्ट डालबाक भय देखा पाई वसुलैत छल। एहि सभसँ चंदा मानसिक रूप सँ परेशान रहैत छली। हुनकर परेशानी पछिला किछु दिन सँ बहुत बेसी बढ़ी गेल छल। ऐहिक चर्चा चंदा अप्पन माँ संग सेहो केना छली। एहिसँ तंग आबिकें ओ अप्पन जीवन लीला समाप्त क' लेली।