दरभंगा : चारि बच्चाक माँ केँ पहिने प्रेमजाल मे फंसेलक बाद मे ट्रेन सँ धक्का द' केलक हत्या

दरभंगा। 15 जनवरी। [प्रणव कुमार चौधरी] चारि बच्चाक माँ केँ पहिने प्रेमजाल मे फंसेलक आओर मौका पाबि हुनकर हत्या क' देलक। ई मामला हायाघाट थाना क्षेत्रक अकराहा गामक अछि। अपने क' बता दी कि 5 जुलाई 2017 सँ पुलिस ऐही घटनाक अनुसंधान क' रहल अछि। मुदा, एखन धरी नहिये असली कातिल गिरफ्तार भेल अछि आओर नहिये हत्याक कारण बुझबा मे आएब रहल अछि। 

दरअसल, महिला केर ट्रेन सँ घक्का द' हत्या कायल गेल छल। जाहि कारण सँ पुलिस ऐही केस केँ प्रथम दृष्टया मे हादसा मानैत छल। मृतक महिलाक पिता ऐही घटना केँ हत्या करार देने छल, आओर ऐही मामला ल'केँ गामक श्रवण सहनी पर शक जाहिर केना छल। 

एएसपी दिलनवाज अहमद केर निर्देश पर शनि दिन श्रवण सहनी केँ गिरफ्तार कायल गेल। पूछताछ मे श्रवण हत्या करबाक बात कबूल केलक। एएसपी श्री अहमद कहलनि कि ओ अप्पन चचेरा भाई परिक्षण सहनीक पत्नी रीता देवी सँ प्यार करैत रहथिन। चारि बच्चाक माँ भेलाक बादो महिला अप्पन पति केँ छोड़िकेँ श्रवण संग रहबाक लेल राजी छथि। मुदा, श्रवण मौज-मस्ती करबाक बाद हुनका गिरफ्त सँ निकले चाहैत छल एहि ख्याल सँ श्रवण अप्पन बिआह तय करा लेलक।

ऐहिक जानकारी भेटते रीता देवी श्रवणक ऊपर दबाव बना श्रवण संग भागी गेली। मुदा, 22 दिनक बाद दुनु वापस गाम आयल। गाम मे पंचायत भेल। मुदा, रीता देवी ओही पंचायतक फैसला माने सँ इंकार क' देलक। श्रवण अपना आप केँ फंसैत देख। दुनु फेर सँ गाम सँ फरार भ' गेल। हायाघाट स्टेशन पर जयनगर जाय बला ट्रेन मे दुनु चढ़ल। 

राति होयबाक कारण किछु दुर गेलाक बाद श्रवण आराम सँ रीता देवी केँ ट्रेनक नीचा फेंक देलच। ओ कहलक कि ई घटना आत्महत्या प्रतीत होय इए सोचिकेँ घटना केँ अंजाम देलक। दरअसल, महिला सदिखन अप्पन घर मे रेल सँ कटिकें जान देबाक बात करैत रहथिन। ई बात घरक सभ  लोग जानैत छल। एएसपी श्री अहमद कहलनि कि घटनाक समय मृतका व आरोपि केर मोबाइल नंबरक लोकेशन एकही जगह पाओल गेल अछि  आरोपी केँ न्यायिक हिरासत मे जेल भेजल गेल अछि।