पश्चिमी चंपारण। 27 जनवरी। पश्चिमी चंपारण जिलाक गोपालपुर थाना परिसर मे कैल्हि शुक्र दिन एक अनियंत्रित ट्रक घुसी केँ पलैट गेल जाहि घटना मे दू गोटाक मौत भ' गेल जखनकि थाना प्रभारी सहित दू पुलिसकर्मी सेहो गंभीर रुपे घायल भ' गेला।
पुलिसक मुताबिक मैनाटांड सँ कुसियार सँ भरल एक ट्रक बेतिया दिस जायत छल तखने गोपालपुर थाना लग ट्रक पर सँ चालक केर नियंत्रण हटी गेल आओर सड़क सँ गुजैर रहल एक मोटरसाइकिल केँ ठोकर मारैत ट्रक थाना परिसर मे घुसी पलैट जेल। एहि दुर्घटना मे मोटरसाइकिल सवार दू लोगक घटनास्थले पर मौत भ' गेल जखनकि गोपालपुर थाना प्रभारी मोहम्मद रफीउर रहमान सहित दू पुलिसकर्मी घायल भ' गेला।