IPL 2018 बोली : भारतीय खेलाड़ी पड़ल फीका, विदेशी खेलाड़ी सभक चांदी

नई दिल्ली। 27 जनवरी। आईपीएल 2018 मे ब्रांड खेलाड़ी सभक बोली पूरा भ' चुकल अछि। एहिमे भारतीय खेलाड़ी फीका नजैर आयल ओतहि  विदेशी खेलाड़ी सभकेँ ऊंच दाम मे किनल गेल। भारतीय खेलाड़ी सभक बात करी तेँ युवराज सिंह आओर हरभजन सिंह केँ बेस प्राइज (दू करोड़ टाका) मे किनल गेल। युवराज सिंह पछिला बरख सनराइजर्स हैदराबाद लेल खेलने छल, एहि बरख ओ किंग्स इलेवन पंजाब लेल खेलता। हरभजन सिंह केँ चेन्नै सुपर किंग्स किनलक।

एखन धरीक बोली मे इंग्लैंडक बेन स्टोक्स सभसँ महग बिकला। हुनका  राजस्थान रॉयल्स 12.50 करोड़ टाका मे किनलक। मिशेल स्टॉर्क केँ 9.40 करोड़ टाका मे कोलकाता नाइट राइडर्स किनलक। क्रिस लिन केँ 9 करोड़ 60 लाख टाका मे कोलकाता नाइटराइडर्स किनलक। 

ग्लेन मैक्सवेल केँ 9 करोड़ टाका मे दिल्ली अप्पन टीम मे शामिल केलक। वेस्ट इंडीज के ब्रावो केँ चेन्ने सुपर किंग्स 6.40 करोड़ टाका मे किनलक।  कीरन पोलार्ड केँ मुंबई इंडियन्स 5 करोड़ 40 लाख मे किनलक। 

के एल राहुल सभसँ महग बिकै बला भारतीय खेलाड़ी बनला। हुनका 11 करोड़ टाका मे पंजाब किनलक। दोसर नंबर पर अश्विन बिकला। हुनका 7 करोड़ 60 लाख टाका मे किंग्स इलेवन पंजाब किनलक। तेसर नंबर पर शिखर धवन (5.20 करोड़ टाका) रहला। हुनका आरटीएम केर जरिए सनराइजर्स हैदराबाद अपना लगे राखलक।