पटना। 25 जनवरी। राजद नेता तेजस्वी यादव अप्पन ट्विटर केर माध्यम सँ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आओर संघ संचालक मोहन भागवत पर बयानबाजी केलनि। तेजस्वी यादव लिखलनि कि मोहन भागवत बिहार आबिकेँ जांच-पड़ताल क' रहल छथि कि नीतीश संग चुनाव लड़ल जाए वा नहि आओर कहिया चुनाव कराओल जाय?
तेजस्वी यादव आगू लिखैत छथि कि किछु दिन पहिने भाजपा केँ बिहार प्रभारी प्रवास पर छाला। बिहार मे दिसंबर 2018 धरी लोकसभा केर संग - संग विधानसभा चुनाव एकदम सँ तय अछि। अपने क' बता दी कि तेजस्वी यादव अप्पन ट्विटर केर माध्यम सँ बेसी काल बिहारक राजनीति आओर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर निशाना साधैत छथि।
प्राप्त जानकारी केर मुताबिक संघ प्रमुख मोहन भागवत दरभंगा मे बनल स्वामी विवेकानन्द कैंसर अस्पताल केर उद्घाटन करे पहुंचल छला। तेजस्वी यादव मोहन भागवतक एहि दौरा केँ आबै बला समय मे चुनावक तैयारी बतौलनि अछि।