विश्व स्वास्थ्य संगठन रक्तक महत्त्व आओर ओहिक जरुरत केँ देखैत एक नारा देना छल। एहि नारा केँ हरेक विश्व रक्तदान दिवसक अवसर पर लोग सभक बीच पहुंचाओल जे रहल अछि। एहि नाराक असर दरभंगा मेडिकल कॉलेज एंड हॉस्पिटल के रीजनल बैंक में सेहो देखार देबा लागल अछि। आब रीजनल ब्लड बैंक मे पर्याप्त मात्रा मे खून उपलब्ध अछि। एहि कारण सँ जरुरतमंद सभकेँ बिना डोनर केँ खून उपलब्ध कराओल जायत।
ओतहि जाहि मरीज सभकेँ खूनक लेल दर-दर भटके पड़ैत छल हुनका सभकेँ आब एहिसँ राहत भेट रहल अछि। जाहि मरीज सभकेँ खूनक जरुरत पड़ैत अछि, हुनका सभकेँ आब आराम सँ खून भेट जायत अछि। रिजनल ब्लड बैंक केँ प्रभारी डॉ.ओपी चौरसिया कहलनि कि फिलहाल ब्लड बैंक मे 435 यूनिट खून उपलब्ध अछि। रक्तदानक प्रति लोग सभक बीच जागरूकता बढ़बाक कारण सँ गरीब व लाचार मरीज सभकेँ बहुत फायदा भ' रहल अछि।