दरभंगा। 25 जनवरी। राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ (RSS) प्रमुख मोहन भागवत केँ दरभंगा आगमन ल'केँ आरएसएस केँ अति उत्साहित कार्यकर्ता सभ पूरा शहर केँ एक चौराहा पर लागल पूर्व मुख्यमंत्री कर्पूरी ठाकुर केँ प्रतिमा क' भगवा रंग सँ रंगी देलक। जाहि ल'केँ राष्ट्रीय जनता दल (RJD) केर कार्यकर्ता सभ सड़क पर उतैर गेल और विरोध जतौलक।
एक पुलिस अधिकारी कहलनि कि आरएसएस प्रमुख मोहन भागवत केँ आगमन ल'केँ कार्यकर्ता सभ दरभंगा शहर केँ भगवा झंडा सँ पाटि देना अछि। एहि दौरान आरएसएस केँ कार्यकर्ता सभ कार्यक्रम स्थल लग एक चौराहा पर लागल कर्पूरी ठाकुर केँ प्रतिमा के भगवा रंग सँ रंगी देलक। जाहिक बाद राष्ट्रीय जनता दल (राजद) केँ कार्यकर्ता सभ ऐहिक विरोध शुरू क' देलक।
राजद जिला अध्यक्ष रामनेरश यादव केर नेतृत्व मे राजद कार्यकर्ता सभ कर्पूरी चौक पर प्रदर्शन केलक आओर एहि मामला मे जिलाधिकारी केँ एक ज्ञापन सौपलक। रामनेरश यादव भगवा केँ कट्टरवादि सभक रंग बतबैत समाजवादि सभकेँ खौझेबाक कार्रवाई करार देलक।
एम्हर, किछु स्थानीय लोग सभ कहलनि कि नगर विधायक संजय सरावगी केर अनुशंसा पर कर्पूरी चौक पर स्थित कर्पूरी ठाकुर केँ प्रतिमाक उपर छतरी आदि लगेबा सहित कैको निर्माणक काज चैल रहल अछि। एहि तहत मूर्ति पर भगवा रंग चढ़ाओल गेल अछि।
अपने क' बता दी कि कैल्हि बुध दिन पूर्व मुख्यमंत्री आओर समाजवादी नेता कर्पूरी ठाकुर केँ जयंती मनाओल गेल। ठाकुर केँ 'भारत रत्न' देबाक सेहो मांग उठैत रहल अछि। कर्पूरी ठाकुर 22 दिसंबर 1970 सँ 2 जून 1971 आओर 24 जून 1977 सँ 21 अप्रैल 1979 केर दौरान दू बेर बिहारक मुख्यमंत्री पद पर रहल छलाह।