समस्तीपुर। 25 जनवरी। पूर्व मुख्यमंत्री जननायक कर्पूरी ठाकुर केँ 94बे जयंती हुनकर पैतृक गाम कर्पूरी ग्राम मे मनाओल गेल। एहि दौरान सर्वधर्म प्रार्थना सभा सेहो कायल गेल। स्वर्गीय कपूरी ठाकुर केँ छवि पर माल्यार्पण कायल गेल। एहि दौरान स्थानीय लोग जिलाधिकारी आओर बिहार सरकारक मंत्री महेश्वर हजारी स्वर्गीय कपूरी ठाकुरक छवि पर माल्यार्पण केलनि। मंत्री हजारी कहलनि कि आजुक समय मे हुनक बताओल गेल राह पर चलबाक जरुरत अछि।
एहि दौरान स्वर्गीय कपूरी ठाकुर केँ पुत्र राजसभा सांसद रामनाथ ठाकुर उपस्थित लोग सभक स्वागत करबा मे जुटल रहला। सांसद ठाकुर कहलनि कि कर्पूरी जीक नाम पर पूरा राज्य मे राजनीति होयत अछि मुदा कियो गोटा हुनक बताओल राह पर नहि चलैत अछि, लोग सभकेँ हुनका द्वारा बताओल गेल राह पर चलबाक चाही। घोर गरीबी मे जीबै बला कर्पूरी जीक जीवन मुख्यमंत्री बांलाक बादो सादगी भरल रहल। हुनका जननायक केर पदवी ओनाही नहि भेटल। ऐहिक पाछू हुनकर सोच व कार्यशैली निहित छल। हुनकर कैको स्मृति आजुक समय मे सेहो लोग सभक जहन मे अछि।