मानव श्रृंखलाक बाद 30 जनवरी केँ बिहार मे आब बनत 'मानव कतार'

पटना। 29 जनवरी। कैल्हि रवि दिन केंद्रीय मंत्री उपेंद्र कुशवाहा पार्टी प्रदेश कार्यालय मे प्रेस काॉंफ्रेंस केलनि। केंद्रीय मंत्री पूरा बिहार मे स्कूल पर 'पंचायत वार शिक्षा सुधार मानव कतार कार्यक्रम' ल'केँ जानकारी देलनि। अपने क' बता दी कि पूरा बिहार मे 30 जनवरी केँ 11.30 सँ 12 बजे धरी ई मानव कतार बनत।

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक बिहार मे 30 जनवरी के शिक्षा मे सुधर ल'केँ बनै बला मानव श्रृंखला ऐतिहासिक होयत। केंद्रीय मानव संसाधन विकास राज्य मंत्री उपेंद्र कुशवाहा शिक्षा मे सुधार लेल मानव श्रृंखला बनेबाक  निर्णय लेना छथि। केंद्रीय मंत्री कहलनि कि शिक्षाक बैगर समाजक विकास संभव नही अछि। ऐहिक संगे केंद्रीय मंत्री सभसँ अपील करैत कहलनि कि शिक्षा मे सुधार लेल दल आओर विचार सँ अलग हटीकेँ एहि   कार्यक्रम मे सभ कियो शामिल भ' ऐहिकेँ सफल बनाबी।