मिथिलांचल वासी केँ ठंड सँ भेटल राहत, मौसम भेल साफ, तापमान मे उतार - चढ़ाव जारी

सहरसा। 31 जनवरी। मिथिलांचल समेत पूरा उत्तर भारत केँ अधिकांश क्षेत्र मे आय भोर मौसम साफ रहल आओर भोरे सँ रौद निकलल अछि। एहि बीच तापमान मे उतार-चढ़ाव जारी अछि। कैल्हि मंगल दिन सहरसा केँ न्यूनतम तापमान 6.5 डिग्री सेल्सियस दर्ज कायल गेल।

मौसम विभाग अप्पन पूर्वानुमान मे कहने अछि कि अगिला एक - दू दिन मे राज्य केँ मौसम मे कोनो खास परिवर्तनक संभावना नहि अछि। एहि दौरान मौसम साफ आओर अधिकतम - न्यूनतम तापमान मे उतार-चढ़ाव जारी रहत। मौसम साफ भेला सँ जनजीवन सामान्य भ' गेल अछि। ठंड सँ लोग सभकेँ राहत भेटल अछि।

पटना स्थित मौसम विज्ञान केंद्रक मुताबिक कैल्हि मंगल दिन पटना केँ न्यूनतम तापमान 8.1 डिग्री, भागलपुर केँ 9.0 डिग्री आओर गया केँ 6.5 डिग्री सेल्सियस दर्ज कायल गेल। मिथिलांचल समेत सगर बिहार केँ अधिकतम तापमान 23 डिग्री सेल्सियस केँ करीब रहबाक अनुमान अछि।