एहि हादसाक बाद 6 लोग हेलैत कोनो तरहे बाहर निकलल आ खुद केँ बचेबा मे कामयाब रहल। घटनाक सूचना भेटते पुलिस आओर प्रशासनिक अधिकारी सेहो बचाव दल संग घटना स्थल पर पहुंचल। स्थानीय निवासी सभ सेहो बचाव काज मे भिड़ल अछि। बिहार सरकार द्वारा मृतक सभक परिजन केँ 4 - 4 लाख टाकाक मुआवजा देबाक घोषणा कायल गेल अछि।